ⓘ मोधा बुढीगंगा गाउँपालिका

                                     

ⓘ मोधा बुढीगंगा गाउँपालिका

मोधा बुढीगंगा गाउँपालिका मोरङ जिलामे अवस्थित अछि । वि.सं. २०७३ सालमे सङ्घीय मामिला तथा स्थानीय विकास मन्त्रालयद्वारा ७४४ स्थानीय तह लागू करलाक बाद मोरङ जिलामे साविकक टंकीसिनवारी, हात्तीमुडा, शिसवनीवडहरा आ डंग्राहा गाउँ विकास समितिसभके मिलाए मोधा बुढीगंगा गाउँपालिका बनाएल गेल अछि । मोधा बुढीगंगा गाउँपालिकाक कूल क्षेत्रफल ५६.४१ वर्गकिलोमिटर रहल अछि । ई गाउँपालिका ७ वडामे विभाजन कएल गेल अछि । ई गाउँपालिकाक कूल जनसङ्ख्या ४१,५८६ रहल अछि । ई गाउँपालिकाक सिमाना पूर्वमे ग्रामथान गाउँपालिका, पश्चिममे सुनसरी जिला, उत्तरमे सुन्दरहरैंचा नगरपालिका तथा दक्षिणमे बिराटनगर धरि फैलल अछि ।