ⓘ ग्रामथान गाउँपालिका

                                     

ⓘ ग्रामथान गाउँपालिका

ग्रामथान गाउँपालिका मोरङ जिलामे अवस्थित अछि । वि.सं. २०७३ सालमे सङ्घीय मामिला तथा स्थानीय विकास मन्त्रालयद्वारा ७४४ स्थानीय तह लागू करलाक बाद मोरङ जिलामे साविकक झोराहाट, मोतिपुर, तेतरिया, सिद्राहा, बनिगामा आ लखन्तरी गाउँ विकास समितिसभके मिलाए ग्रामथान गाउँपालिका बनाएल गेल अछि । ग्रामथान गाउँपालिकाक कूल क्षेत्रफल ७१.८४ वर्गकिलोमिटर रहल अछि । ई गाउँपालिका ७ वडामे विभाजन कएल गेल अछि । ई गाउँपालिकाक कूल जनसङ्ख्या ३२,७१७ रहल अछि । ई गाउँपालिकाक सिमाना पूर्वमे बेलवारी नगरपालिका आ रंगेली नगरपालिका, पश्चिममे मोधा बुढीगंगा गाउँपालिका, उत्तरमे सुन्दरहरैंचा नगरपालिका तथा दक्षिणमे बिराटनगर आ कटहरी गाउँपालिका धरि फैलल अछि ।