ⓘ कानेपोखरी गाउँपालिका

                                     

ⓘ कानेपोखरी गाउँपालिका

कानेपोखरी गाउँपालिका मोरङ जिलामे अवस्थित अछि । वि.सं. २०७३ सालमे सङ्घीय मामिला तथा स्थानीय विकास मन्त्रालयद्वारा ७४४ स्थानीय तह लागू करलाक बाद मोरङ जिलामे साविकक वयरवन, केरावन आ होक्लावारी गाउँ विकास समितिसभके मिलाए कानेपोखरी गाउँपालिका बनाएल गेल अछि । कानेपोखरी गाउँपालिकाक कूल क्षेत्रफल ८२.८३ वर्गकिलोमिटर रहल अछि । ई गाउँपालिका ७ वडामे विभाजन कएल गेल अछि । ई गाउँपालिकाक कूल जनसङ्ख्या ३८,०३३ रहल अछि । ई गाउँपालिकाक सिमाना पूर्वमे पथरी शनिश्चरे नगरपालिका, पश्चिममे बेलवारी नगरपालिका, उत्तरमे लेटाङ नगरपालिका तथा दक्षिणमे रंगेली नगरपालिका धरि फैलल अछि ।