ⓘ बराह नगरपालिका

                                     

ⓘ बराह नगरपालिका

बराह सुनसरी जिलामे अवस्थित एक नगरपालिका छी । वि.सं. २०७३ सालमे सङ्घीय मामिला तथा स्थानीय विकास मन्त्रालयद्वारा ७५३ स्थानीय तह लागू करलाक बाद सुनसरी जिलामे साविकक बराहक्षेत्र, महेन्द्रनगर, भरौल आ प्रकाशपुर गाउँ विकास समितिसभके मिलाए बराह नगरपालिका बनाएल गेल अछि । बराह नगरपालिकाक कूल क्षेत्रफल २११.२३ वर्गकिलोमिटर रहल अछि । ई नगरपालिका १०वडामे विभाजन कएल गेल अछि । ई नगरपालिकक कूल जनसङ्ख्या ६९,८५८ रहल अछि । ई नगरपालिकाक सिमाना पूर्वमे धरान उपमहानगरपालिका पश्चिममे उदयपुर जिला, उत्तरमे धनकुटा जिला तथा दक्षिणमे रामधुनी नगरपालिका, भोक्राहा गाउँपालिका आ कोशी गाउँपालिका रहल अछि ।