ⓘ व्यास गाउँपालिका

                                     

ⓘ व्यास गाउँपालिका

ब्याँस गाउँपालिका दार्चुला जिलामे अवस्थित अछि । वि.सं. २०७३ सालमे सङ्घीय मामिला तथा स्थानीय विकास मन्त्रालयद्वारा ७४४ स्थानीय तह लागू करलाक बाद दार्चुला जिलामे साविकक ब्याँस, राप्ला, सुनसेरा, धौलाकोट आ हुती गाउँ विकास समितिसभके मिलाए ब्याँस गाउँपालिका बनाएल गेल अछि ।ब्याँस गाउँपालिकाक कूल क्षेत्रफल ८३९.२६ वर्गकिलोमिटर रहल अछि । ई गाउँपालिका ६ वडामे विभाजन कएल गेल अछि । ई गाउँपालिकाक कूल जनसङ्ख्या १०,३४७ रहल अछि । ई गाउँपालिकाक सिमाना पूर्वमे बझाङ जिला आ चीन, पश्चिममे भारत, उत्तरमे चीन तथा दक्षिणमे दुहुँ गाउँपालिका आ अपिहिमाल गाउँपालिका धरि फैलल अछि ।