ⓘ छेडेदह गाउँपालिका

                                     

ⓘ छेडेदह गाउँपालिका

छेडेदह गाउँपालिका बाजुरा जिलामे अवस्थित अछि । वि.सं. २०७३ सालमे सङ्घीय मामिला तथा स्थानीय विकास मन्त्रालयद्वारा ७४४ स्थानीय तह लागू करलाक बाद बाजुरा जिलामे साविकक कांडा, जयवागेश्वरी, डोगडी, गुदुखाती आ आटिचौर गाउँ विकास समितिसभके मिलाए छेडेदह गाउँपालिका बनाएल गेल अछि ।छेडेदह गाउँपालिकाक कूल क्षेत्रफल १३५.०८ वर्गकिलोमिटर रहल अछि । ई गाउँपालिका ७ वडामे विभाजन कएल गेल अछि । ई गाउँपालिकाक कूल जनसङ्ख्या १८,५७५ रहल अछि । ई गाउँपालिकाक सिमाना पूर्वमे बडिमालिका नगरपालिका, पश्चिममे बझाङ जिला, उत्तरमे गौमुल गाउँपालिका तथा दक्षिणमे बुढीनन्दा नगरपालिका आ अछाम जिला धरि फैलल अछि ।