ⓘ बुद्धशान्ति गाउँपालिका

                                     

ⓘ बुद्धशान्ति गाउँपालिका

बुद्धशान्ति गाउँपालिका झापा जिलामे अवस्थित अछि । वि.सं. २०७३ सालमे सङ्घीय मामिला तथा स्थानीय विकास मन्त्रालयद्वारा ७४४ स्थानीय तह लागू करलाक बाद झापा जिलामे साविकक बुधबारे आ शान्तिनगर गाउँ विकास समितिसभके मिलाए बुद्धशान्ति गाउँपालिका बनाएल गेल अछि । बुद्धशान्ति गाउँपालिकाक कूल क्षेत्रफल ७९.७८ वर्गकिलोमिटर रहल अछि । ई गाउँपालिका ७ वडामे विभाजन कएल गेल अछि । ई गाउँपालिकक कूल जनसङ्ख्या ४१,६१५ रहल अछि । ई गाउँपालिकाक सिमाना पूर्वमे मेचीनगर नगरपालिका, पश्चिममे अर्जुनधारा नगरपालिका, उत्तरमे इलाम जिला तथा दक्षिणमे मेचीनगर आ अर्जुनधारा नगरपालिका धरि फैलल अछि ।