ⓘ झापा गाउँपालिका

                                     

ⓘ झापा गाउँपालिका

झापा गाउँपालिका झापा जिलामे अवस्थित अछि । वि.सं. २०७३ सालमे सङ्घीय मामिला तथा स्थानीय विकास मन्त्रालयद्वारा ७४४ स्थानीय तह लागू करलाक बाद झापा जिलामे साविकक कुमरखोद, टाघनडुब्बा आ शरणामती गाउँ विकास समितिसभके मिलाए झापा गाउँपालिका बनाएल गेल अछि । झापा गाउँपालिकाक कूल क्षेत्रफल ९४.१२ वर्गकिलोमिटर रहल अछि । ई गाउँपालिका ७ वडामे विभाजन कएल गेल अछि । ई गाउँपालिकक कूल जनसङ्ख्या ३४,६०१ रहल अछि । ई गाउँपालिकाक सिमाना पूर्वमे भारत आ बाह्रदशी गाउँपालिका, पश्चिममे शिवसताक्षी नगरपालिका आ गौरीगञ्ज गाउँपालिका, उत्तरमे कन्काई नगरपालिका तथा दक्षिणमे भारत धरि फैलल अछि ।