ⓘ देवघाट गाउँपालिका

                                     

ⓘ देवघाट गाउँपालिका

देवघाट तनहुँ जिलाक दक्षिण-पश्चिम भागमे फैलल एक गाउँपालिका छी । विसं २०७३ सालमे नेपालक नयाँ प्रादेशिक संरचना कायम करैत काल तनहुँ जिलामे साविकक देवघाट, कोटा, बैदीक वडासभ आ छिपछिपे गाउँ विकास समितिसभके मिलाए देवघाट गाउँपालिका घोषणा कएल गेल अछि ।

                                     

1. जनसङ्ख्या

प्रदेश नं. ४ स्थित तनहुँ जिला अन्तर्गत रहल साविकक देवघाट, कोटा, बैदीक ४-९ वडासभ आ छिपछिपे गाविससभके मिलाए देवघाट गाउँपालिका बनेनाए अछि । राष्ट्रिय जनगणना २०६८क अनुसार ई ठामसभक जनसङ्ख्या जोडि देवघाट गाउँपालिकाक जनसङ्ख्या १६,१३१ रहल अछि ।

                                     

2. भौगोलिक अवस्थिति

देवघाट गाउँपालिकामे ५ वडासभ रहल अछि । देवघाटक कुल क्षेत्रफल १५९ वर्ग किमी अछि । ई गाउँपालिकाक पूर्वमे आँबुखैरेनी गाउँपालिका आ चितवन जिला पडैत अछि तहिना पश्चिममें ऋषिङ गाउँपालिका आ नवलपरासी जिला अछि । एकर उत्तरी भागमें आँबुखैरेनी गाउँपालिका, ऋषिङ गाउँपालिका, बन्दीपुर गाउँपालिका आ व्यास नगरपालिका अछि तहिना दक्षिणी क्षेत्रमें चितवन जिला आ नवलपरासी जिला अवस्थित अछि ।