ⓘ माईपोखरी

                                     

ⓘ माईपोखरी

माईपोखरी इलाम जिलाक उत्तरी क्षेत्रमे रहल माई पोखरी आ सुलुबुङ गाविसक एकटा धार्मिक महत्व भेल एक पोखरि छी । १.८८ वर्ग किलोमिटर क्षेत्रफल भेल ई पोखरिक अर्धव्यास ७५० मिटर अछि । मेची राजमार्गक विव्ल्याँटे नामक बजारसँ करीव १२.५ किलोमिटरक दुरीमे अवस्थित ई क्षेत्रक जैविक विविधताक दृष्टिसँ अलग महत्व राखैत अछि । माई पोखरी गाविस वार्ड नम्बर ६ मे अवस्थित माईपोखरी इलाम बजारसँ १५ कि.मी. उत्तर २१३० मी.क उचाईमे अछि । ई स्थान जाए लेल ठण्डीमे यातायातक सुविधा अछि । पैदल जाएक लेल इलाम विब्ल्याटेसँ जसबिरे होइत करिब ३ घण्टामे ई स्थान पहुँचल जा सकैत अछि ।